साक्षी महाराज साधु नहि, लफंदर छैथ – लालू यादव

पटना। 10 जनवरी।  राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव कहलनि कि जमीन पर बैसला से हुनका कुनु फर्क नहि पड़ैत अछि। ओ प्रकाश पर्व पर आयोजित मुख्य समारोह मे जमीन पर बैसला संबंधी प्रश्न के जवाब दैत छला। प्रकाश पर्व के बाद पहिल बेर मीडिया सँ बात करैत ओ कहलनि कि जमीने पर बैस के  भगवान केर पूजा कायल जायत अछि। ऊपर बैसै बला केर इंतजाम सेहो  जमीन पर बैसै बला जोका छल। ई विवाद केर विषय नहि अछि।

राजद के वरिष्ठ नेता डॉ रघुवंश प्रसाद सिंह केर विरोध संबंधी प्रश्न पर ओ कहलनि कि हुनका बाजे दियो। ई हुनकर व्यक्तिगत बयान छैन्ह।

साक्षी महाराज केर 4 कनियाँ आर 40 बच्चा बला बयान पर लालू यादव कहलनि कि साक्षी महाराज साधु नहि, लफंदर छैथ। एहेन लोग सभके  जेल मे होबाक चाहि। हुनका एहेन लोग पर देशद्रोह केर मुकदमा चलबाक चाहि। पांच राज्य मे होमै बला विधानसभा चुनाव के ठीक पहिने केंद्रीय बजट पर विपक्ष केर विरोध पर लालू यादव कहलनि कि ई विरोध जायज अछि। केंद्र सरकार के ऐहिक तिथि बढेबाक चाही।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने