बीएसएफ के जवान तेज बहादुर यादव अप्पन विडियो मे एहि बात के जिक्र केना छैथ। तेज बहादुर यादव विडियो मे दावा केलन्हि अछि कि सरकार राशन केर पर्याप्त सामान भेजैत अछि, स्टोर भरल पड़ल अछि मुदा अधिकारी सामान क' सैनिक सभ तक नहि पहुंचे दैत छैथ आर ओकरा बाहर बेच दैत छैथ।
एक बीएसएफ जवान आर श्रीनगर स्थित हुमहमा बीएसएफ हेडक्वॉर्टर के आसपास रहै बला किछ स्थानीय लोग सभक दावा अछि कि एयरपोर्ट के आसपास रहै बला दोकानदार, किछ बीएसएफ अधिकारि सभ द्वारा बेचल जाय बला ईंधन के प्रमुख खरीददार अछि। नाम उजागर नहि करबाक शर्त पर एक बीएसएफ जवान कहला कि ई अधिकारी स्थानीय बाजार मे राशन आर खान - पान के समान बेच दैत छैथ। हमरा सभ तक सामान नहि पहुँचैत अछि। ऐता तक की हमरा सभके दैनिक उपयोग केर सामान सेहो नहि भेट पाबैत अछि आर ओ ओहि समान के एजेंट केर माध्यम से बाजार मे बेच दैत छैथ।
इलाका के एक ठीकेदार कहला कि हमरा सभके मार्केट से आधा दाम पर हुमहमा कैंप के किछअधिकारि सभ से डीजल आरपेट्रोल भेट जैत अछि। ऐहिक अलावा राशन मे चावल, मसाला, दाईल आर रोजमर्रा केर सामान सेहो बहुत कम दाम मे भेट जैत अछि।
इलाका के एक फर्नीचर डीलर बहुत चौकाबाइ बला दावा केलन्हि अछि। हुनका मुताबिक ऑफिस आर बाकी सरकारी जरूरतक लेल फर्नीचर किने आबै बला अधिकारी हुनका से मोट कमिशन लैत छैथ। हुनकर कमिशन फर्नीचर डीलर केर मुनाफा से बेसी होयत छैन्ह। बीएसएफ मे कुनु ई-टेंडरिंग व्यवस्था नहि अछि। अधिकारी आबैत छैथ, अप्पन कमिशन लैत छैथ आर फर्नीचर किनैत छैथ।
ई हाल सिर्फ बीएसएफ केर नहि अछि। सीआरपीएफ के किछ अधिकारि सभक सेहो इये हाल अछि। श्रीनगर मे एक महीना पहिने तक बतौर आईजी (प्रशासन) तैनात रहल सीआरपीएफ के आईजी रविदीप सिंह साही कहला कि अगर सप्लाई मे कुनु तरहक गड़बड़ी अछि, तेँ ऐहिक जांच होबाक चाहि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।