प्रकाशोत्सव : मंच पर एक संग देखार देता लालू, नीतीश आर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी

पटना। 05 जनवरी। 350वां प्रकाशोत्सव पर एक आर अलग नजारा देखबाक लेल भेटत। नरेंद्र मोदी केर घोर-विरोधी राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव प्रकाशोत्सव केर मौक़ा पर आय मोदी संग मंच साझा क' सकैत छैथ। प्राप्त सुचना केर मुताविक एहि मौक़ा पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के संग लालू यादव सेहो उपस्थित रहता।  

अपने के बता दी कि एहि ऐतिहासिक आयोजन मे शामिल होयबाक लेल  प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पटना पहुँच रहल छैथ। राजधानी मे प्रधानमंत्री के आगमन लेल सभ तैयारि पूरा क' लेल गेल अछि। सुरक्षा व्यवस्था केर सभ इंतजामात पुख्ता क' लेल गेल अछि।आसमान से ल'के जमीन तक समूचा राजधानी एखन अभेद सुरक्षाक घेरा मे अछि। 

प्रधानमंत्री दुपहर 11:45 बजे पटना एयरपोर्ट पर उतरता। आता से 12:15 मे सीधे गांधी मैदान पहुंचता। गांधी मैदान मे गुरु ग्रंथ साहिब केर दर्शन करबाक बाद पीएम लंगर मे सेहो भाग लेता संगहि संबोधन सेहो करता।  प्रधानमंत्री पटना मे करीब 2:20 मिनट रुकता।

सोशल मीडिया केर माध्यम से लगातार पीएम मोदी पर हमला करै बला लालू यादव जखन मोदी संग मंच साझा करता तेँ लोग सभक नजैर हुनके पर होयत। अपने के बता दी कि नोटबंदी के बाद से लालू यादव पीएम मोदी क' ट्विटर केर माध्यम से खूब कोसना छथिन। एहीसे पहिने चुनाव केर  दौरान सेहो लालू आर मोदी के बीच खूब जुबानी जंग भेल छल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने