मंच पर मोदी - नीतीश, निचा बैसला लालू : PM-CM के जुगलबंदी पर कहलनि 'छानब जिलेबी आर निकलत पकौड़ी'

पटना। 06 जनवरी। गुरु गोविंद सिंह के 350वां प्रकाशोत्सव पर 2 केंद्रीय मंत्रि रविशंकर प्रसाद आर रामविलास पासवान क' पीएमओ केर दखल के बाद नरेंद्र मोदी के मंच पर जगह भेटल। कार्यक्रम मे लालू यादव अप्पन  दुनु मंत्री बेटा संग कार्यक्रम मे पहुंचला। लेकिन मंच पर जगह नहि भेटलैन्ह आर हुनका नीचा मे बैसे परलैन्ह। एहि कार्यक्रम के बाद जखन लालू से पुछल गेल कि प्रधानमंत्री नीतीश के तारीफ केलन्हि, ऐहिक की मतलब भ' सकैत अछि ? तेँ लालू कहला, 'छानब जिलेबी आर निकलत पकौड़ी' 
अपने के बता दी कि प्रकाशोत्सव मे शामिल होयबाक लेल अंतिम दिन कैल्ह गुरुवार क' नरेंद्र मोदी पटना पहुंचला। लालू कहला - की हर आदमी के नाम ल' तारीफ करता मोदी...
  • लालू यादव नरेंद्र मोदी आर नीतीश कुमार के एक-दोसरक तारीफ ल'के  निकालल जे रहल राजनीतिक मायने क' खारिज केलन्हि।
  • लालू कहला, "प्रधानमंत्री एतेक बड़का कार्यक्रम के लेल नीतीश सरकार केर तारीफ केलन्हि अछि। नीतीश कुमार सरकार के मुखिया छैथ। महागठबंधन के सीएम छैथ। प्रधानमंत्री पूरा सरकार के तारीफ केलन्हि अछि। आब की अलग-अलग आदमी के नाम ल'के तारीफ करता?"
  • जखन बीजेपी आर नीतीश केर बढ़ैत नजदीकि पर सवाल पुच्छल गेल तेँ ओ कहला, 'छानब जिलेबी आर निकलत पकौड़ी'
  • बताओल जे रहल अछि की पीएमओ लालू क' मोदी के मंच पर जगह देबाक निर्देश बिहार सरकार क' देना छल। लेकिन इजाजत भेटला के बादो ओ मंच पर नहि गेला।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने