लोकप्रिय बॉलिवुड कलाकार 'ओम पुरी' नहि रहला, हार्ट अटैक से भेलन्हि मौत

मुम्बई। 06 जनवरी। देश के बेहतरीन कलाकार मे शुमार ओम पुरी केर निधन भ' गेलन्हि। आय शुक्रवार भोर ओ अंतिम सांस लेला। 66 बरखक  ओम पुरी केर मौतक कारण दिल केर दौरा पड़ब बताओल जे रहल अछि। ओम पुरी ओय चंद कलाकार मे सँ एक छठाक जे समानान्तर सिनेमा से ल'के कमर्शल सिनेमा तक मे कामयाबी हासिल केलन्हि। 

ओम पुरी हॉलिवुड मे सेहो काज केना छलाह।ओम पुरी केर जन्म अंबाला के एक पंजाबी परिवार मे भेल छलैन्ह। 1993 मे ओम पुरी के विवाह  नंदिता पुरी संग भेल छलैन्ह बाद मे 2013 मे तलाक भ' गेलन्हि। हुनका इशान नाम के एक बेटा छैन्ह। ओम पुरी बॉलिवुड के अलावा ब्रिटेन आर अमेरिका के फिल्म मे काज केना छलाह। ओम पुरी आर नसीरुद्दीन शाह फिल्म एंड टेलिविजन इंस्टिट्यूट पुणे मे एक संग पढ़ाई केना छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ