पुलिस सूत्र से प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ युवक 31 दिसम्बर से गायब छलाह आर हुनक परिजन सभ हुनका खोजबा मे लागल छल। अजय के सास मुन्नी देवी बतौलन्हि कि हुनकर बेटी के नंदोसी राजेश ई हत्या केलन्हि अछि। हुनका से सदिखन विवाद होयत रहैत छ्लैन्ह। मृतक के माँ कहली कि गत वर्ष फरवरी मे हुनकर दोसर बेटा केर मौत भ' गेल छल। 10 फरवरी 2015 मे भेल मौत सेहो हत्या केर मामला छल।एक - एक करि हम्मर घर के सभ सदस्य के मारल जे रहल अछि।
सदर थाना अध्यक्ष कहला की किछ लोग फोन केलन्हि कि ओता माटिक नीचा किछ दाबल लागि रहल अछि। ओता पहुँच जखन खुनल गेल तेँ पता चलल की युवक केर लाश अछि जिनकर नाम अजय कुमार मंडल छल। मृतक युवक रामबाग स्थित इन्डियन गैस गोदाम मे काज करैत छलाह। बांकी छान-बीन के बाद पता चलत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।