
नई दिल्ली। 18 जनवरी। एखन धरी अपने एटीएम कार्ड से कुनु भी बैंक के एटीएम से पाई निकालैत छलहुँ। मुदा जल्दे सभ बैंक मे एक खाता से काज भ' सकत। एहीसे एटीएम जोका खाता कुनु भी बैंक मे हुवे आन बैंक से पाई निकैल जमा कराओल जे सकत। ग्राहक सभक सुविधा के लेल केंद्र सरकार एहि सुझाव पर विचार क' रहल अछि।
नोटबंदी के दौरान सार्वजनिक बैंक सभमे एकीकृत बैंकिंग व्यवस्था लागू करबाक सुझाव केंद्र सरकार लग आयल छल। सूत्र सभक मुताबिक, नीति आयोग के एक शीर्ष अधिकारी ई सलाह देना छल, जाहिपर वित्त मंत्रालय सहमत अछि। एहि विषय पर रिजर्व बैंक संग सरकार के चर्चा होयत एखन बाकी अछि। बताओल जे रहल अछि कि मंत्रालय कोर बैंकिंग सॉफ्टवेयर (सीबीएस) जेहेन नव प्लेटफार्म के जरिया पहिल चरण मे एहि व्यवस्था क' सरकारी बैंक सभ पर लागू करबाक विचार क' रहल अछि। एहि सभ बैंक के देश भरी मे इ 72 हजार से बेसी शाखा अछि।
जाहि तरहे एखन धरी कुनु आन एटीएम से पाई निकालबाक नि:शुल्क सीमा 5 बेर कायल गेल अछि। मेट्रो शहर सभ मे ई सीमा 3 बेर अछि। ओहि तर्ज पर खाताधारक अप्पन मूल बैंक से नहि देशभरी मे कुनु भी बैंक से लेनदेन क' सकता। 3 बेर लेनदेन क' निःशुल्क राखल जायत आर निकासी के सीमा सेहो तय कायल जायत। 3 बेर से बेसी लेनदेन पर शुल्क लगाओल जायत। एहि व्यवस्था से कम शाखा बला बैंक सभके फायदा होयत। सरकार सरकारी बैंक सभक बाद निजी, क्षेत्रीय आर फेर ग्रामीण बैंक सभके सेहो एहि से जोड़बाक प्रयास करत।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।