हाजीपुर मे महिला के गला रेत हत्या, लोग सभमे दहशत

हाजीपुर। 18 जनवरी। वैशाली थाना क्षेत्र मे रहिमपुर नहर लग आय  बुधवार दिन गला रेत हत्या करि फेकल गेल एक महिला के शव बरामद भेला से पूरा ऐतिया मे दहशत केर माहौल अछि। मृतिका केर पहचान क' लेल गेल अछि। बताओल जे रहल अछि कि मृतका 25 वर्षीया उषा देवी वैशाली थाना के अमृतपुर गामक निवासी अशोक राय केर पत्नी छली। ओ  कैल्ह सांझ से अप्पन मायके मुजफ्फरपुर के सरैया थाना के वासदेव पट्टी गाम से गायब छली।

ओतहि दोसर दिस मृतका के माँ भूमि विवाद ल'के देवर ललन राय पर हत्या करबाक आरोप लगेलन्हि अछि। शुरूआती जांच मे पता चलल अछि कि तीन बच्चा केर माँ उषा देवी दूध लेबाक लेल घर से निकलल छली। एहि दौरान रास्ता मे हुनका बोलेरो सवार किछ लोग जबरन उठा लेलन्हि आर अपना संग ल' गेलन्हि।

भेटल जानकारी के मुताबिक भूमि विवादक लेल उषा के पिता आर चाचा के बीच मंगलवार दिन झगड़ा भेल छल। चाचा ललन राय अंजाम भुगतबाक धमकी देना छल। पुलिस शव क' अप्पन कब्जा मे ल' पोस्टमार्टम के लेल हाजीपुर सदर अस्पताल भेजलन्हि अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने