जनता केर कमाई क' पार्टी प्रचार मे खर्च क' रहल अछि राज्य सरकार : पप्पू यादव

मधेपुरा। 11 जनवरी। स्थानीय सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव आर  सुपौल के सांसद रंजीत रंजन कैल्ह मंगलवार दिन केवटगामा चौक पर बैसाढ़ तक निर्माण होमै बला सड़क केर शिलान्यास केलन्हि। सांसद पप्पू यादव कहलनि कि मानव श्रृंखला के नाम पर नीतीश सरकार पार्टी केर  प्रचार क' रहल अछि।

सरकारी धन से पार्टी केर प्रचार करब कता धरी उचित अछि। पूरा सरकारी महकमा श्रृंखला मे लागल अछि। जिलाधिकारी से चपरासी तक सभ एकहि काज मे लागल अछि। इस अभियान पर खर्च होमै बला राशि केर  जांच होबाक चाही। विकास योजना सभ पर राज्य सरकार के ध्यान नहि अछि। सूबे मे मात्र 3.2 प्रतिशत लड़कि सभ पढ़ाई क' रहल अछि, कौशल विकास योजना पर दलाल सभक नजर अछि, सात निश्चय के तहत हर घर मे जल योजना फ्लॉप साबित भ' रहल अछि। राज्य सरकार बताबे कि बंदी के बादो शराब कते से आइब रहल अछि। आगा ओ कहला कि एहि सभ  मुद्दा के लेल आगामी 24 जनवरी क' गरीब अधिकार मार्च निकालल जायत। सांसद रंजीत रंजन कहला कि नोटबंदी करि केंद्र सरकार आम जनता के ठगने अछि…  आब आर बर्दाश्त नहि कायल जायत।

सांसद, संसदीय विकास योजना केर तहत भवानीपुर से मंडल टोला जाय बला सड़क, सिकरहटी से छर्रापटटी जाय बला सड़क, देवनस्थान से कांकड़ तक जाय बला सड़क मे प्रधानमंत्री योजना के निर्मित पथक उद्घाटन केलन्हि। एहि मौका पर सुपौल लोकसभा के युवा अध्यक्ष विनोद कुमार, सांसद प्रतिनिधि रमेश कुमार रमण, जाप प्रखंड अध्यक्ष सुधीर कुमार सिंह, जाप उपाध्यक्ष अशोक कुमार झा, युवा परिषद के अध्यक्ष रंधीर कुमार, युवा शक्ति अध्यक्ष राहुल कुमार, प्रमुख प्रतिनिधि पिंटू यादव, उप प्रमुख प्रतिनिधि नरेश साह, पूर्व पंसस कामोज मिश्र, दिनेश यादव, अनिरूद्ध यादव, पूर्व मुखिया सुरेन्द्र यादव, पूर्व सरपंच भूपेन्द्र यादव, मुखिया खुर्शीद हयात, मुखिया प्रतिनिधि सुर्यनारायण मुखिया, शंभू यादव, धर्मेंद्र सिंह, जयप्रकाश यादव, मु.जावेद, मु.निजाम, ज्वाला प्रसाद, रविन्द्र चौधरी, मु.शमशुल, दीपक कुमार, पवन मिश्र, मु.वद्दू, मुकेश सरदार, प्रकाश पासवान, मनोज कुमार सहित आन जाप आर कांग्रेस कार्यकर्ता मौजूद छला। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ