ललित दिवस पर सम्मानित हेताह युवा समाजसेवी आ 'न्यूज़ मिथिला' के संपादक बिदेश्वर नाथ उर्फ़ बिकाश झा

दरभंगा। 24 जनवरी। देशक पूर्व रेल मंत्री आ मिथिलाक सपूत स्व. ललित नारायण मिश्रक जयंती पर देशक राजधानी दिल्लीमे मिथिलालोक फाउंडेशक केर तत्वावधानमे आयोजित 'ललित दिवस' कार्यक्रममे ललित सम्मान सं सम्मानित हेताह युवा समाजसेवी आ 'न्यूज़ मिथिला' के संपादक बिदेश्वर नाथ उर्फ़ बिकाश झा। इ पहिल बेर अछि जखन राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र दिल्लीमे कोनो संगठन एतेक व्यापक रूपें ललित बाबूक जयंती मनेवाक लेल आगू आएल अछि। 

अगामी 2 फरवरी दिन स्व. ललित नारायण मिश्र जीक जन्म दिवस पर दिल्ली के विनोद नगर (पश्चिम)मे एकटा भव्य कार्यक्रममे ललित बाबूकें स्मरण कैल जेतैन्ह। कार्यक्रममे मिथिला एवं बिहारक विभिन्न विधाक व्यक्तिगण उपस्थित रहता आ संगहि संग समाजक विभिन्न क्षेत्रमे योगदान देनिहार व्यक्ति लोकनिकें ललित सम्मान सं सम्मानित सेहो कैल जेतैन्ह। मिथिलालोक फाउंडेशन के चेयरमैन आ देशक जानल-मानल शिक्षाविद डाॅ. बीरबल झा कहला कि ललित दिवस पर युवा समाजसेवी आ 'न्यूज़ मिथिला' के संपादक बिदेश्वर नाथ उर्फ़ बिकाश झा के संगे-संग आरो बहुत व्यक्तित्वकें संस्था सम्मानति करत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने