मणिकांत झा के आइकॉन बनेबा सs मिथिलांचल गौरवान्वित : उप विकास आयुक्त


दरभंगा। चुनाव आयोगक' आइकॉन मणिकांत झा के अभिनदंन समाहरोह हुनक पैतृक गांव दरभंगा जिलाक' शुभंकरपुर में भेल। कार्यक्रमक शुभारंभ गन्धर्व झा के वेद ध्वनि सs भेल। एही अवसर पर मुख्य अतिथि के रूप में उपस्थित उप विकास आयुक्त विवेकानंद झा कहला की प्रजातंत्र रूपी जननी के पूजा कs अधिकार मणिकांत झा जी के भेटल अछि जे सामान्य प्रतिष्ठा सs बहुत ऊपर अछि। श्री झा कहला की आइकॉन बनेबा स केवल शुभंकरपुर आ दरभंगा ही नै अपितु पूरा मिथिलांचल गौरवान्वित अछि। 21 जनवरी के बन वाला मानव शृंखला में सेहो शुभंकरपुर आर मिथिला वासी सs अग्रणी भूमिका निभएबाक आग्रह कैला।


अभिनन्दन समिति शुभंकरपुर द्वारा आयोजित एही कार्यक्रम के संबोधित करैत डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहला कि मणिकांत झा ने आरंभ सs ही मैथिली के सेवा में छैथ जाहिक परिणाम अछि कि चुनाव आयोग हिनका मैथिली साहित्यकार के रूप मे अपन आइकॉन बनेलक। समारोह के संबोधित करैत प्रख्यात शिशु रोग विशेषज्ञ डा ओमप्रकाश कहला कि मणिकांत मित्रों के मित्र छैथ। जैड़ सs जुड़ल रहबाक कला कियो हिनका सिख सकैत अछि । मदन प्रसाद राय कहला कि हिनका उपर आब आर बेसी जिम्मेवारी बैढ गेला जाहि के निर्वहन बखूबी करता विश्वास अछि। प्रख्यात राजनीतिक चिंतक प्रो जितेंद्र नारायण कहला कि जै समाज अपन घर के लाल के सम्मान करैत अछि ओ दोसर के सेहो सम्मान करैत अछि। शुभंकरपुर कs गौरवशाली परंपरा रहल अछि जाहि के मणिकांत आगा बढेला हs । प्रो अशोक कुमार झा कहला कि हिनका आइकॉन बन सs  मतदान प्रतिशत निश्चय बढ़त। डा जय प्रकाश चौधरी जनक के संचालन मे भेल सम्मान समारोह मे विशालकाय पुष्प माल्य, मखान के माला, पाग, दोपटा तथा सम्मान पत्र द' क' मणिकांत झा के सम्मानित कैल गेल। सम्मान के प्रति आभार प्रदर्शित करैत मणिकांत कहला कि आइकॉन हम नै अपितु हमर पूरा गाँव बनल अछि। ओ कहला कि ग्रामवासी द्वारा भेटल दुलार- प्यार पाबि हम अभिभूत छी । अपन अध्यक्षीय उद्बोधन मे बिनोद कुमार झा कहल कि एही सम्मान सs हमर पूरा गाँव गौरवान्वित भेला। एही कार्यक्रम मे जीव कांत मिश्र, विजय कांत झा , सोनू तिवारी, बालेंदु झा, श्रवण कुमार झा, संतोष, माधव , पिंटू ,अनिता कुमारी, रमण कुमार झा , हेमचंद्र ठाकुर सहित कतेको वक्ता अपन विचार रखला ।
दोसर सत्र मे विष्णुदेव झा विकल कs अध्यक्षता मे भव्य कवि सम्मेलन आयोजित भेल जाहि में शंभुनाथ मिश्र आसी, डा जनक, शारदानंद सिंह , दिनेश झा सहित अनेक कवि अपन रचना सुनेला । मंच संचालन कवि हरिश्चन्द्र हरित कैला ।
अभिनन्दन समारोह कs तैसार सत्र रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम समर्पित रहल, जाहि में विनय कुमार झा, डा सुष्मा झा , दीपक कुमार झा, नीरज कुमार , गौरीकांत झा , अशोक कुमार झा , अभय कुमार धवल , दिलीप कुमार सहित अनेक कलाकार अपन प्रस्तुति सs समाँ बाँधी देला । देर साँझ चलल एही कार्यक्रम कs संचालन प्रवीण कुमार झा कैला ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने