पटना। 14 जनवरी। लालू के घर चूड़ा दही भोज खाय लेल पहुचल कांग्रेस के प्रदेश अध्यक्ष अशोक चौधरी बड़का बयान दैत कहलनि कि जदयू 2 बरख धरी बीजेपी क' अप्पन दही चूड़ा भोज मे आमंत्रित नहि केना छल, एहि बरख एहेन की भ' गेल कि उन्हें बीजेपी क' निमंत्रण भेजल गेल अछि।
एहि बात पर अप्पन नाराजगी जाहिर करैत अशोक चौधरी कहलनि कि एहि बात के जवाब जदयू के प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह से पुछबाक चाही कि बीजेपी के लेल किएक एतेक स्नेह उमैड़ रहल अछि ? कांग्रेस के प्रदेश अध्यक्ष अशोक चौधरी से ई साबित होयत अछि कि महागठबंधन मे सब ठीक ठाक नहि चैल रहल अछि।
कांग्रेस के प्रदेश अध्यक्ष कहलनि कि जिनका अएबाक होय आए, जएबाक होय जाए, हम कैल्ह पटना से बाहर जे रहल छी एहि कारणवश हम जदयू के भोज मे शामिल नहि होय बला छी।
बीजेपी नेता सुशील मोदी कहला कि नीतीश कुमार खुद हमरा फोन करि आमंत्रित केलन्हि अछि आर हम जरूर जदयू के दही-चूड़ा के भोज मे जायब। ओ कहला कि 2 बरख धरी नहि बजौला ते नहि गेलहुँ। माननीय मंत्री नितिन गडकरी कैल्ह पटना मे रहता लेकिन व्यस्तता के बावजूद हम भोज मे जरुर जायब।
सुशील मोदी तंज कसैट कहला कि बीजेपी क' किये बजाओल गेल? एहिपर लोग सवाल पुछैत छैथ ते जवाब जदयू द' सकैत अछि। आगा ओ कहला कि पहिने सेहो जदयू के भोज होयत छल जे कखनो - कखनो कैंसिल सेहो होयत छल, देखैत छी एहि बेर की होयत अछि।
एहि बयान सभक बाद एखन धरी जदयू दिस से कुनु प्रतिक्रिया नहि आयल अछि। लेकिन एहि बयान आर नाराजी सभके देखैत एक बेर ई बात जरूर साबित होयत अछि कि महागठबंधन मे सभकिछ ठीक ठाक नहि चैल रहल अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।