मिथिलाक ई सपूत कहियो कुरियर कंपनी मे करैत छला नौकरी, बनेला ख़ुदक कंपनी, आय छैन्ह 4 Cr केर टर्नओवर

गोपालगंज। 16 जनवरी। गोपालगंज के रहिवासी मनोरंजन करीब 2 दशक पहिने दिल्ली गेल छला। दिल्ली मे बहुत मेहनत के बाद हुनका एक कुरियर कंपनी मे नौकरी भेटलैन्ह। बाद मे हुनकर प्रमोशन सेहो भेलैन्ह। किछ दिनक बाद ओ दोसर कंपनी ज्वाइन केला। ऐहिक बाद बाद एकाएक किछ एहेन घटना घटलैन्ह कि हुनका अप्पन नौकरी से हाथ धोबे परलैन्ह। ऐहिक बाद मनोरंजन ख़ुदक कंपनी बनौलन्हि आर आब हुनकर कंपनी केर 4 करोड़ के टर्नओवर छैन्ह। 

मनोरंजन के सफलताक मुख्य बिंदु: 

  • मनोरंजन 2002 मे दिल्ली के एक कुरियर कंपनी छोइर दोसर कंपनी ज्वाइन केला। 
  • फेर ओ देशक तेसर नंबर के कंपनी प्रकाश एयरफ्रेट ज्वाइन केला। 
  • प्रकाश एयरफ्रेट मे हुनकर एरिया मैनेजर के बाद रीजनल मैनेजर केर रूप मे प्रमोशन भेलैन्ह। 
  • ओहि समय मनोरंजन के लगभग ५ लाख ने पॅकेज छलैन्ह। मुदा तक़दीर करवट लेलन्हि। 
  • मनोरंजन 2007 मे 3 संगी संग मिल GMS एक्सप्रेस नाम के कुरियर कंपनी शुरू कएलाह। 
  • 2 बरख के बाद कंपनी बंद भ' गेलन्हि। फेर ओ विचार केला की आब पार्टनरशिप मे काज नहि करब। 
  • मनोरंजन २००९ मे फेर से कंपनी शुरू केला। एहिबेर किनको पार्टनर नहि बनलाह। 
  • 3 डिलीवरी बॉय संग एक छोट सनक कमरा से मैक्सिम एक्सप्रेस सॉल्यूशंस प्राइवेट लिमिटेड के नीव राखलाह। 
  • आय हुनका कंपनी मे 70 गोटा काज करैत छैन्ह आर कंपनी 18 राज्य मे सेवा द' रहल छैन्ह। 
  • 3 लाख के पूंजी से शुरू भेल हुनकर कंपनी के आय करीब 4 करोड़ टर्नओवर छैन्ह। 
  • बावजूद एकर मनोरंजन क' लागैत छैन्ह कि एखनो आर मेहनत करबाक जरुरत अछि।
  • ओ कहला कि एखनो मंजिल बहुत दूर छैक आर कंपनी क' नव ऊंचाई तक ल' जेबाक अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने