एमहर झंझारपुर आर एस के कैथिनियां गुमटी पर समाजवादी पार्टी के राम शंकर पाठक, प्रबोध चन्द्र दास, रमेश कुमार झा, मो कलाम, प्रमोद कुमार यादव, जावेद अंजुम, संजीव झा, मो रफीक आदि कार्यकर्ता सभ कर्पुरी जी के फोटो पर माल्यार्पण कएलन्हि। स्थानीय खादी भण्डार परिसर मे भाजयुमों के जिला मंत्री प्रदीप कुमार ठाकुर केर अगुवाई मे भरत महतों, जगदीश भगत, भगवान दास, गंगा पासवान, जीतेन्द्र गुप्ता लोकैन सेहो पुष्पांजलि अर्पित करि हुनका श्रद्धासूमन अर्पित कएलन्हि। जखनकि झंझारपुर बाजार स्थित चिल्ड्रेन पार्कमे नगर जद यू के कार्यकर्ता सभ बैजु नारायण चौधरी केर अध्यक्षता मे जयन्ती समारोह केर आयोजन कएलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।