राष्ट्रीय मतदाता दिवस पर दरभंगा जिलाक आइकॉन मणिकांत झा शुभकामना संदेश प्रेषित कएलन्हि

दरभंगा। 25 जनवरी। आय राष्ट्रीय मतदाता दिवस के अवसर पर निर्वाचन आयोगक दरभंगा जिलाक आइकॉन मणिकांत झा सभ मतदाता लोकनि के शुभकामना संदेश प्रेषित कएलन्हि अछि। मणिकांत झा आय एक प्रेस विज्ञप्ति जारी करि जिला वासी सभसे मतदान केर अधिकारक प्रति जागरूक होयबाक अनुरोध केलन्हि अछि। विज्ञप्ति मे श्री झा कहलनि कि मजबूत लोकतंत्रक लेल सभ वयस्क नागरिक क' अप्पन मताधिकारक प्रयोग करब जरुरी अछि। हम सभ अप्पन मतक माध्यम से अप्पन मोनक बात राखी सकैत छी। 

श्री झा युवा लोकनि से आह्वान करैत कहला कि हर वयस्क नागरिक अप्पन नाम  मतदाता सूचीमे दर्ज करा देशमे होमै बला सभ तरहक चुनाव मे  शामिल भ' सबल राष्ट्र निर्माण मे सहयोग करि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने