हत्याक मामला मे 13 क' सश्रम आजीवन कारावास

दरभंगा। 28 जनवरी। दरभंगा जिलाक एक अदालत हत्याक एक मामला  मे 13 मुजरिम क' सश्रम आजीवन कारावास केर सजा सुनौलन्हि अछि। ऐहिक संगे अदालत सभ दोषि पर 21000 टाकाक जुर्माना सेहो लगौलन्हि अछि। सभ 13 मुजरि क' तीन साल पहिने एक ग्रामीणक हत्या के मामला मे दोषी पाओल गेलाक बाद सजा सुनाओल गेल अछि।

अतिरिक्त जिला एवं सत्र न्यायाधीश (एडीजे) ब्रजेश कुमार मालवीय महावीर यादव केर हत्याक मामला मे सभ 13 अभियुक्त क' दोषी ठहरौलन्हि। अतिरिक्त लोक अभियोजक (एपीपी) अनिल कुमार सिंह के मुताबिक़ यादव के दोषि सभ राम शोभित यादव आर अन्य मिल ओहिसमय जघन्य तरिका से हत्या क' देलन्हि छल, जखन ओ 27 जुलाई 2013 क' बग्घा गाम से अप्पन घर आबैत छलाह। 

संपत्ति विवाद क' यादव केर हत्याक पाछा उद्देश्य बताओल जे रहल अछि। पीड़ित के बड़का भाई जयवीर यादव 13 लोग के खिलाफ एक प्राथमिकी दर्ज करेना छला, जाहिमे हुनका सभ पर हुनकर छोट भाई के हत्याक आरोप लगाओल गेल छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने