खुशखबरी : सहरसा क' भेटल बड़का तोहफा, बंगाली बाजार मे ओवरब्रिज निर्माण क' भेटल स्वीकृति

सहरसा। 19 जनवरी। नया सालमे सहरसा क' बहुत बड़का तोहफा भेटल अछि प्राप्त सुचना के मुताबिक सहरसा के बंगाली बाजार मे ओवरब्रिज निर्माण क' स्वीकृति भेट गेल अछि। भारत सरकार के सड़क एवं परिवहन मंत्रालय बंगाली बाजार मे ओवरब्रिज निर्माण क' स्वीकृति प्रदान केलन्हि अछि। आय गुरुवार दिन नई दिल्ली मे मंत्रालय के डीजी एसएन दास  सांसद पप्पू यादव क' स्वीकृति पत्र समर्पित केलन्हि। ओवरब्रिज केर  निर्माण 78 करोड़ टाका के लागत से कायल जायत। एहिलेल राशि सेहो  आवंटित क' देल गेल अछि।

भारत सरकर के सचिव उत्तम प्रकाश बिहार के पथ निर्माण विभाग क' भेजल स्वीकृति पत्र मे कहलनि अछि कि ओवरब्रिज निर्माणक लेल तकनीकी व प्रशासनिक स्वीकृति पर राष्ट्रपति सेहो अप्पन सहमति द' देलन्हि अछि। 
एनएच 107 पर सहरसा के बंगाली बाजार में ओवरब्रिज निर्माण लेल सड़क परिवहन मंत्रालय टेंडर निकालबाक निर्देश देलन्हि अछि। ओवरब्रिज निर्माण के सिविल वर्क मे 34 लाख केर राशि देल गेल अछि। जखनकि तकनीकी काज लेल 78.6627 करोड़ केर राशि देल गेल अछि। छह माह के भीतर काज शुरू करबाक एहो निर्देश देल गेल अछि। 

अपने के बता दी कि ओवरब्रिज निर्माण लेल पहिनो तीन बेर शिलान्यास भ' चुकल अछि। पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव, दिग्विजय सिंह, अधीर रंजन चौधरी द्वारा ओवरब्रिज निर्माण लेल शिलान्यास कायल गेल छल। मुदा निर्माण काज शुरू नहि भेल। एहि बीच सांसद पप्पू यादव ई घोषणा केलन्हि कि अगर ओवरब्रिज केर निर्माण हुनका कार्यकाल मे शुरू नहि भेल तेँ ओ मधेपुरा लोकसभा क्षेत्र से अप्पन नामांकन केर पर्चा दाखिल नहि करता। एम्हर ओवरब्रिज केर निर्माणक जिम्मा एनएचएआइ लेलन्हि आर मंत्रालय ऐहिक स्वीकृति नया साल शुरू होयते द' देलन्हि। 

सांसद पप्पू यादव कहला कि हम जे बाजैत छी ओकरा पूरा करबाक कोशिश करैत छी। ओवरब्रिज निर्माण क' स्वीकृति दिएब हम्मर पहिल  प्राथमिकता छल आर ओ पूरा भ' गेल अछि। जल्दे निर्माण काज सेहो शुरू भ' जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने