पढ़त तेँ बढ़त कोना, करबाक अछि मानव श्रृंखला केर तैयारी

दरभंगा। 19 जनवरी। बिहार सरकार दिस से शराबबंदी क' प्रेरित करबाक लेल पूरा सूबे मे जते मानव श्रृंखला बनेबाक फैसला 21 जनवरी दिन लेल गेल अछि। जाहिक लेल बिहार सरकार पूरा शासन-प्रशासन सहित तमाम सरकारी संस्थान सभके मानव श्रृंखला के पूर्वाभ्यास मे लगा राखने अछि। पिछ्ला कैको दिनसे मानव श्रृंखला के पूर्वाभ्यास मे सरकारी स्कूल सभक  बच्चा क' सेहो लगाओल जे रहल अछि। सवाल ई उठैत अछि कि बिहार सरकार अप्पन प्रायोजित कार्यक्रम मे स्कूली बच्चा सभके किएक लगा रहल अछि। जाहिलेल पटना हाईकोर्ट सेहो  24 घंटा मे बिहार सरकार से स्कूली बच्चा सभके  मानव श्रृंखला मे भाग लेबा पर जबाब मांगने अछि। 

जिला भरिमे सैकड़ों सरकारी स्कूल मे शिक्षक सहित छोट-छोट बच्चा क' स्कूली पढ़ाई बाधित करि उक्त श्रृंखला के पूर्वाभ्यास मे कैको दिन से झोंकल जे रहल अछि। दरभंगा प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी दिस से जारी एक आदेश मे कहल गेल अछि कि दरभंगा जिला कार्यक्रम पदाधिकारी (ज्ञापांक 289 दिनांक 15-12-16 के आलोक मे) विद्यालय के शिक्षक परिवार सहित, टोला सेवक, वर्ग 5 से 12 तक के छात्र-छात्रा सभके अभिभावक सहित मानव श्रृंखलामे भाग लेबाक लेल कहल गेल अछि। ओतहि मानव श्रृंखला केर तैयारी व जागरूकता अभियान के तहत आगामी 16,18 व 20 जनवरी तक स्कूल सभमे तैयारी के बात उक्त आदेश मे देल गेल छल। 

शिक्षाविद् अरूण कुमार ठाकुर कहला कि मानव श्रृंखला मे स्कूली बच्चा सभले लगायब कतहुँ से सही नहि अछि। सरकारी स्कूल के शिक्षक सभ एहिपर किछ भी बाजबा से सीधे इंकार क' देलन्हि अछि। विगत कैको दिनसे मानव श्रृंखला के नाम पर स्कूल के पढ़ाई बाधित चैल रहल अछि।  ठीक से वर्ग संचालन नहि भ' रहल अछि। आगामी तीन दिन धरी इये हालात रहत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने