किछ देर मे 11292 कि.मी नमहर मानव श्रृंखला से इतिहास रचत बिहार

पटना। 21 जनवरी। बिहार दिछ देर के बाद इतिहास रचे जे रहल अछि। आय 21 जनवरी 2017 साक्षी बनत ओहि क्षण के जे आयधरि दुनियां मे कतहुँ नहि भेल अछि। शराबबंदी के समर्थन मे बिहार ऐतिहासिक मानव श्रृंखला बनबे जे रहल अछि। 11292 कि.मी नमहर मानव श्रृंखला एक विश्व रिकॉर्ड होयत। 

बिहार सरकार आर बिहार के तमाम जिला एहि आयोजन क' सफल बनेबाक लेल पूरा तैयारी क' लेना अछि। शहर के सड़क से ल'के गामक गली तक हर हाथ सँ हाथ जुड़ल होयत। एहि क्षण क' कैमरा मे कैद करबाक लेल सेटेलाइट आसमान मे घुमैत रहत।  ड्रोन कैमरा अप्पन तीक्ष्ण आँखि से हर दृश्य क' कैद करैत रहत। बिहार दिन के 12:15 बजे से एक बजे तक ई अद्भुत नजारा सागर दुनियां क' देखेबाक लेल पूरा तरहे तैयार अछि।

अपने के बता दी कि एहीसे पहिने 11 दिसंबर 2004 दिन लगभग 5 मिलियन लोग हाथ से हाथ जोड़ी  मानव श्रृंखला बनेना छल जाहिक लम्बाई कुल 1050 कि.मी छल। ई कारनामा बांग्लादेश मे भेल छल। मकसद तत्कालीन सरकार  के खिलाफ ‘नो कॉन्फिडेंस’ शो करबाक छल।  ई एखन धरिक विश्व रिकॉर्ड अछि। मुदा आब गिनीज बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड अप्पन डायरी खोइल ओहि क्षण केर इंतजार क' रहल अछि जखन बिहार ई दृश्य प्रस्तुत करत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने