प्रमोद कुमार शर्मा 1980 से 90 तक मटिहानी विधान सभा के विधायक छलाह। हुनकर पार्थिव शरीर केर अंतिम दर्शन लेल बेगूसराय आनल गेलन्हि। आय बुधवार दिन हुनकर अंतिम संस्कार सिमरिया मे होयत। जिला जदयू अध्यक्ष भूमिपाल राय कहला कि बेगूसराय अप्पन अभिभावक हरा देना अछि। जदयू के पूर्व जिलाध्यक्ष भोलाकांत झा कहला कि हुनकर सहृदयता क' लोग बरखो तक याद करतैन्ह।आर्यभट्ट के निदेशक प्रो. अशोक कुमार सिंह अमर प्रमोद बाबू केर निधन पर गहरा शोक संवेदना व्यक्त केलन्हि अछि।
प्रमोद बाबू के निधन पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, जदयू के प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह, बिहार विधान सभा अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी आर जदयू प्रवक्ता नीरज कुमार समेत अनेको राजनीतिक हस्ति सभ शोक जतौलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।