मत्स्यगंधा मेला मे हंगामा क' रहल शराबी धराओल गेल

सहरसा। 03 जनवरी। नववर्ष केर मौका पर शहर के मत्स्यगंधा परिसर स्थित रक्तकाली चौंसठ मेला मे शराब पीब हंगामा क' रहल शराबी के गिरफ्तार करि सदर थाना के हवाले क' देल गेलन्हि। जानकारी केर मुताबिक़ सहरसा बस्ती निवासी मो. इरशाद व बटराहा निवासी अविनाश कुमार मेला मे शराब पीब हंगामा करैत छलाह। 

जाहिक जानकारी भेटते सदर एसडीओ मो. जहांगीर आलम मौका पर पहुँच हंगामा केर आरोपी के ब्रेथ इनलायजर से जांच केलन्हि। जांच के दौरान मो. इरशाद 158.4% नशा केर पुष्टि भेल आर सदर थाना पुलिस हुनका शराबबंदी कानून केर उल्लंघन करबाक आरोप मे कार्रवाई करैत जेल भेज देलन्हि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने