जन अधिकार पार्टी के कार्यकर्ता सभक लेल दही-चुड़ा के भोजक आयोजन

खगड़िया। 16 जनवरी। नगर सभापति सह जन अधिकार पार्टी के जिलाध्यक्ष मनोहर कुमार यादव द्वारा पार्टी के जिला कार्यालय मे युवा शक्ति आर जन अधिकार पार्टी के कार्यकर्ता सभक लेल दही - चुड़ा के भोजक आयोजन कैल्ह रविवार दिन कायल गेल। जाहिमे युवा शक्ति आर  जन अधिकार पार्टी के कार्यकर्त्ता सभ सम्मिलित भेला। 

मौका पर नगर सभापति कहला कि मकर सक्रांति के अवसर पर अल्पसंख्यक समुदाय  के लेल भोजनक आयोजन कायल गेल। जाहिमे बहुत रास मुसलमान भाई मकर संक्रांति के भोज मे सम्मलित भेला। एहितरहक आयोजन से आपसी भाईचारा बनैत अछि आर एक दोसर से भेंट करबाक मौका मिलैत अछि। 

एहि भोजक आयोजन मे युवा शक्ति के प्रदेश अध्यक्ष नागेंद्र सिंह त्यागी, युवा शक्ति के जिलाध्यक्ष चन्दन सिंह, मानसी प्रखंड  अध्यक्ष अभय कुमार गुड्डू, जाप के सदर प्रखंड अध्यक्ष सुनील चौरसिया, युवा शक्ति के जिला उपाध्यक्ष मनीष कुमार, जन अधिकार पार्टी (लो) के प्रदेश सचिव सुधांशू यादव,जाप जिला सचिव कृष्णदेव गुप्ता, युवा शक्ति प्रदेश सचिव दीपक चंद्रवंशी, वार्ड पार्षद शिवराज यादव, युवा शक्ति के जिला सचिव श्रीकांत पोद्दार, जाप के जिला महासचिव चन्दन पासवान , युवा शक्ति के पांडव यादव, संजय यादव अमित भास्कर ,नवीन पासवान ,निरंजन पासवान, वकील वर्मा, नंदकिशोर यादव ,सोनू कुमार सहित संस्कृत महाविद्यालय के प्राचार्य उमेश चौधरी एवं रणवीर कुमार, राकेश त्यागी, मुकेश कुमार, आदि शामिल भेला। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने