मुखिया आर समाजसेवी सभ द्वारा गरीबक बीच कंबल केर वितरण

समस्तीपुर। 16 जनवरी। मुसरीघरारी मे कैल्ह रविवार दिन कंबल वितरण समारोह केर अयोजन कायल गेल। एहिमे भीषण ठंड क' देखैत  मुखिया आर समाजसेवी सभ द्वारा 300 असहाय, गरीब, विधवा, विकलांग लोग सभके कंबल द' ठंड से राहत देबाक काज कायल गेल।

समारोह क' संबोधित करैत वक्ता लोकनि कहलनि कि सरकार द्वारा नहिये ते गरीब सभक बिच गर्म कपड़ा के वितरण कायल जे रहल अछि आर नहिये अलाव केर व्यवस्था कायल जे रहल अछि। आखिर समाज के लोग सरकार जोका गरीबक उपेक्षा कोना करत। एहि सभके देखैत लोगक बिच कंबल वितरण कायल जे रहल अछि। ताकि ठंड से राहत भेट सके। मौके पर मो. हाजी फिरोज, फरहत जवी फातमा, सुनील पासवान, सुमित्रा देवी, मों. साजू, दानिश कमाल, अवधेश साह, शहादत हुसैन, मो. मुर्तजा, फनिन्द्र कुमार, नरेश राम एवं गोपाल शर्मा आदि उपस्थित छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने