"नव वर्ष मंगलमय हो"

"नव वर्ष मंगलमय हो"
*****************
  

नव वर्ष हमरा लोकनिक चिंतनकें नवीनता प्रदान करय । सम्पूर्ण मानव समाज, जीवनक प्रत्येक क्षेत्रमे समग्र विकास-यात्रा केर मार्ग मर्यादापूर्वक प्रशस्त करैथ । प्रेम, करूणा, दया एवं परस्पर स्नेहक अटूट गठबंधनसँ जीवन सुखमय एवं आनंदमय हो । कटूतारूपी भावना केर पराजय हो । 'पर सेवा पर उपकार' जीवनक मंत्र बनि सेवाक संकल्प संकल्पित हो । प्रत्येक व्यक्ति केर आशा व आकांक्षाक रक्षा हो । भारतीय संस्कृति अभ्यागतक सेवा-सत्कार करबामे सदैव विशेष आ गौरवमय स्थान प्राप्त कयने अछि । भारतीय सांस्कृतिक मर्यादा केर परंपरा गौरवशाली रहल अछि ।

आऊ, हमरा लोकनि नव वर्ष रूपी अभ्यागतकें स्वागत करी एवं परम पिता परमेश्वरसँ "सर्वे भवन्तु सुखिनः, सर्वे सन्तु निरामयाः" रूपी प्रार्थना द्वारा सम्पूर्ण मानव-समाजक समग्र कल्याणक कामना करैत नव वर्षक पुनीत एवं पावन अवसर पर नूतन, नवीन चिंतन धाराकें अविरलता प्रदान करबाक कामना करी संगहि नव वर्षक मंगलकामना केर आकांक्षी बनी । जय श्री हरि ।


Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने