उत्तर प्रदेश चुनाव लेल BJP के मेनिफेस्टो जारी : राम मंदिर, ट्रिपल तलाक सेहो शामिल

लखनऊ। 28 जनवरी। बीजेपी आय शनिवार दिन उत्तर प्रदेश मे अप्पन  घोषणापत्र जारी करैत जनता सभक समक्ष तमाम लोकलुभावन योजना पेश केलन्हि। अमित शाह द्वारा लखनऊ मे पेश कायल गेल मेनिफेस्टो मे राम मंदिर आर तीन तलाक जेहेन संवेदनशील मुद्दा सभके सेहो जगह देल गेल अछि। बीजेपी 'लोक कल्याण संकल्प पत्र' नाम से जारी मेनिफेस्टो मे किसान सभक लोन पूरा तरहे माफ करबाक ऐलान केलन्हि अछि। ऐहिक अलावा छात्र सभके लैपटॉप के संग 1जीबी डेटा सेहो मुफ्त देबाक वादा कायल गेल अछि। पार्टी अप्पन घोषणापत्र के टैगलाइन 'गुंडामुक्त उत्तर प्रदेश, भ्रष्टाचार मुक्त उत्तर प्रदेश' राखने अछि। 

बीजेपी के घोषणा पत्र मे एहितरहक बड़का  ऐलान कायल गेल अछि...

1.सूबे के हर युवा क' रोजगारक वादा।
2.किसान सभक लोन आर ब्याज होयत माफ।
3. गन्ना खेतिहर क' भेटत 6,000 करोड़ टाकाक सहायता।
4. मुख्यमंत्री कृषि सिंचाई फंड केर होयत शुरुआत।
5.राम मंदिर के लिए होयत संवैधानिक प्रयास।
6.सूबे मे 6 नव एम्स बनेबाक ऐलान।
7.सफेद क्रांतिक लेल बड़का डेयरी योजना।
8.सीएम केर निगरानी मे बनत पूर्वांचल विकास बोर्ड।
9.कानून व्यवस्था 45 दिन मे दुरुस्त करबाक वादा।
10.डायल 100 व्यवस्था होयतअपग्रेड। 15 मिनट मे पुलिस पहुँचबाक कायल गेल वादा।
11.महिला सभक सुरक्षाक लेल बनत ऐंटी रोमियो दल आर 101 फास्ट ट्रैक कोर्ट केर होयत गठन।
12. यूपी के युवा सभके नौकरी मे प्राथमिकता।
13. सभ अवैध मवेशी कत्लखाना होयत बंद  आर यांत्रिक कत्लखाना केर शुरुआत। 
14. एक लाख से बेसी खाली पुलिस पदक लेल तुरंत बहाली।
15. सांप्रदायिकता के कारण खाली होय बला गामक लेल जिलाधिकारी क' दोषी मानल जायत।
16. सभक एफआईआर धर्म आर जाति के बिना सुनिश्चित कायल जाएगा
17. भूमाफिया सभ पर नकेल आर हर जिला मे एंटी भूमाफिया बल बनाओल जायत। 
18. साल मे प्रदेश मे आयल भ्रष्टाचार के मामला लेल टास्क फोर्स बनाओल जायत। 
19. ग्रेड सी आर डी केर नौकरि सभक लेल इंटरव्यू खत्म होयत।
20. अगला पांच साल मे 70 लाख रोजगार आ स्वरोजगार केर अवसर पैदा होयत। 
21. युवा सभके लेपटॉप संग 1 जीवी मुफ्त इंटरनेट सेहो सरकार देत। 
22. लड़कि सभ लेल ग्रैजुएशन तक शिक्षा निशुल्क होयत।
23. लड़का सभक लेल 12वीं तक के शिक्षा निशुल्क होयत संगहि 50 फीसदी से बेसी अंक आनला पर ग्रैजुएशन तक मुफ्त शिक्षा।
24. सभ कॉलेंज मे मुफ्त वाई-फाई सुविधा देत सरकार।
25. संस्कृत विश्वविद्यालय केर होयत स्थापना।
26. हर घर मे 24 घंटा बिजली।
27. मजदूर सभके 2 लाख टाका तक के फ्री बीमा।
28. हर घर मे शौचालय आर एलपीजी कनेक्शन।
29. कानपुर, झांसी, इलाहाबाद जेहेन शहर मे तुरंत मेट्रो सेवा शुरू कराओल जायत।
30. बुंदेलखंड के लेल बुंदेलखंड विकास बोर्डक गठन होयत।
31. लखनऊ, नोएडा मेट्रो केर विस्तार होयत।
32. 6 छोटी शहर मे हेलिकॉप्टर सेवा शुरू कराओल जायत।
33.पारंपरिक लघु उद्योग सभके भेटत आसानी से लोन।
34. ट्रिपल तलाक के मुद्दा पर मुस्लिम महिला सभसे राय ल' यूपी के भावी बीजेपी सरकार सुप्रीम कोर्ट मे अप्पन पक्ष राखत।
35. ई कॉमर्स पोर्टल बना हस्त शिल्प उत्पाद सभक अंतर्राष्ट्रीय मार्केट तक मे बिक्री होयत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने