सरपंच के गोली माइर हत्या, 4 अपराधी गिरफ्तार

पूर्णिया। 28 जनवरी। जिला के बनमनखी थाना क्षेत्र मे कैल्ह शुक्रवार रात्रि  अपराधि सभ अररिया जिला के हरिपुर कला पंचायत के सरपंच सत्येन्द्र कुमार यादव उर्फ सचिन (35) के गोली माइर हत्या क' देलन्हि। एहि मामला मे पुलिस त्वरित कार्रवाई करैत संदेह के आधार पर 4 लोग क' गिरफ्तार कएलन्हि अछि।

पुलिस के अनुसार, सचिन शुक्रवार रात्रि बनमनखी से अप्पन घर जायत छला टखने धरहरा मखनाहा नहर पुल पर गोली माइर हुनकर हत्या क' देल गेलैन्ह।

पुलिसक एक अधिकारी कहला कि सचिन बनमनखी के हृदयनगर मे दू  गुट मे जमीन विवाद सुलझा वापस आबैत छलाह। पंचायत जिनका विरोध मे फैसला सुनेना छल, ओ पक्ष फैसला मानबाक लेल तैयार नहि छल। एहि  दौरान दुनु पक्ष मे कहासुनी सेहो भेल छल।

पूर्णिया के पुलिस अधीक्षक निशांत कुमार तिवारी कहला कि एहि मामला मे 4 लोग क' गिरफ्तार कायल गेल अछि आर पुलिस पूरा मामला के छानबीन क' रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने