“शराब बंदी अभियान गीत यात्रा” से भेल दरभंगा केर परिक्रमा

दरभंगा। 20 जनवरी। सरकार द्वारा आहूत मानव शृंखला निर्माण हेतु चलाओल जे रहल जन जागरण कार्यक्रम केर कड़ीमे आय दरभंगा के बुद्धिजीविय, साहित्यकार, कलाकार आर समाजसेवि सभ द्वारा दरभंगा शहर मे “शराब बंदी अभियान गीत यात्रा” निकैल दरभंगा केर परिक्रमा कायल जेल। ऐहिक अंतर्गत एक  ट्रक आर एक ट्रैक्टर पर कलाकार सभक द्वारा हालही मे लोकार्पण भेल मणिकांत झा रचित नशामुक्ति अभियान क' समर्पित मैथिली गीत संग्रह “मुक्तिमणि” के गीतक मंचन करि लोग सभके जागरूक कायल गेल। 

कार्यक्रम केर शुभारंभ आयकर चौराहा से भेल। एहि अवसर पर  डी आर डी ए दरभंगा के निदेशक नरेश झा कहलनि कि मणिकांत झा केर नेतृत्व मे चलाओल जे रहल ई गीत यात्रा लोग सभमे नीक संदेश देत। मौका पर उपस्थित डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहला कि मिथिलाक ई कार्यक्रम पूरा बिहार मे अप्पन संदेश छोड़त। 


म्यूजियम गुमती पर आयोजित एहि कार्यक्रम क' महापौर गौरी पासवान, विजय कांत झा , जीव कांत मिश्र,  आर पूर्व पार्षद नंदकिशोर यादव  संबेधित कएलन्हि। 

आकर्षक ढंग से सजाओल गेल मंच पर केदारनाथ कुमर, दीपक कुमार, श्वेता कुमारी, नीरज झा , लालबाबू परंहंस, गौरी कांत झा, अशोक झा, अर्जुन झा , दिलीप कुमार , अजय सुमन सहित अनेको कलाकार सभ अप्पन प्रस्तुति से लोग सभक मोन मोहि लेलन्हि।

अललपट्टी चौक पर आयोजित एहि कार्यक्रम मे प्रख्यात शिशु रोग विशेषज्ञ डॉ. ओम प्रकाश मुक्तिमणि के गीत गाबि लोग सभके अचम्भित क' देलन्हि।

चट्टी चौक पर आयोजित गीत यात्रा केर अध्यक्षता सीता राम चौधरी केलन्हि जखनकि धन्यवाद ग्यापन रतिनाथ जी केलन्हि। नाका नंबर 6 के बाद नगर निगम कार्यालय लग आयोजित गीत यात्रा क' संबोधित करैत दरभंगा के उप विकास आयुक्त विवेकानंद झा कहलनि कि दरभंगा के कलाकार सभ द्वारा प्रस्तुत ई अभियान ऐतिहासिक अछि। एहि अवसर पर डीपीओ प्रवीण सहित कैको पदाधिकारी उपस्थित छला। कार्यक्रम मे विनोद कुमार झा, बालेन्दु , जगदीश महतो , गंधर्व, अभिमन्यु, मनीष ,कैलाश , संतोष, डॉ. राम सेवक,  प्रवीण, सहित बहुतो रास लोग शामिल छला। कार्यक्रम केर समापन दरभंगा टावर पर पूर्व महापौर ओम प्रकाश खेड़िया के अभिभाषण सभ भेल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने