इंदौर - पटना के बीच साप्ताहिक सुपरफास्ट स्पेशल ट्रेन केर सौगात

पटना। 17 दिसम्बर। रेल प्रशासन द्वारा यात्रि सभ क' नीक सँ नीक सुविधा देबाक निरंतर प्रयास कायल जायत अछि। इही कड़ी म' रेल प्रशासन इंदौर सँ पटना एवं पटना सँ इंदौर लेल सप्ताह म' स्पेशल ट्रेन चलेबाक निर्णय लेलन्हि अछि।

गाड़ी संख्या 09305 इंदौर-पटना साप्ताहिक एक्सप्रेस स्पेशल विशेष गाड़ी 18 दिसंबर सँ 1 जनवरी तक प्रत्येक रविवार क' इंदौर सँ 10.00 बजे प्रस्थान करि सोमवार क' 12.35 बजे पटना पहुँचत। इसी प्रकार गाड़ी संख्या 09306 पटना-इंदौर साप्ताहिक एक्सप्रेस स्पेशल विशेष गाड़ी 19 दिसंबर सँ 02 जनवरी तक  प्रत्येक सोमवार क' पटना सँ 17.25 बजे प्रस्थान करि मंगलवार क' 21.45 बजे इंदौर पहुँचत।

एहि गाड़ी म' 1 द्वितीय वातानुकूलित श्रेणी, 2 तृतीय वातानुकूलित श्रेणी, 6 शयनयान श्रेणी, 6 सामान्य श्रेणी आर 2 एस.एल.आर सहित कुल 17 कोच होयत।

ई गाड़ी रास्ता म'  देवास, उज्जैन, शुजालपुर, सिहोर, बैरागढ़, बीना, झांसी, कानपुर, लखनऊ, वाराणसी, मुगलसराय, बक्सर, आरा एवं दानापुर स्टेशन पर रुकत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने