रक्सौल। 17 दिसम्बर। नोटबंदी के बाद स' नबका नोटक छापेमारी केर सिलसिला म' बिहार-नेपाल सीमा सँ सटल रक्सौल स' आयकर विभाग बड़का कार्रवाई क' अंजाम दैत 32 करोड़ के नबका नोट आर 6 किलो सोना संग दुइ गोटा के गिरफ्तार केलन्हि अछि।
ई बरामदगी भारत-नेपाल सीमा लग एक यूपी नंबर केर गाड़ी सँ भेल। सूत्र केर मानी तेँ एहि कालाधन के उपयोग यूपी के चुनाव म' होय बला छल। हालांकि जिलाके आयकर विभाग आर पुलिस अधिकारी एखन एहि छापेमारी पर किछ भी कहबा सँ इनकार क' रहल अछि।
बताओल जे रहल अछि कि आयकर विभाग क' सूचना भेटल कि नेपाल सीमा पर नबका नोटक खूब खेल चली रहल अछि। जाहिक बाद आयकर विभाग ई कार्रवाई केलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।