मिथिला राज्य गठन लेल अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केँ बैठक संपन्न भेल

समस्तीपुर। 05 दिसम्बर। जिला केँ काशीपुर म' कैल्ह रविवार दिन अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केँ कार्यकर्ता सभक बैठक संपन्न भेल। बैठक म' मिथिला राज्य केँ गठन लेल लोग सभ अप्पन प्रतिबद्धता जाहिर केलन्हि। नरेन्द्र सहनी केर अध्यक्षता म' लोग सभ आरएन सिंह क' पार्टी केँ जिला प्रभारी आर अरविन्द कुमार क' जिला कमेटी केर सदस्य मनोनीत केलन्हि। 

बैठक म' संस्था केँ संस्थापक रत्नेश झा, प्रधान महासचिव उमेश चन्द्र भारती, युवा परिषद सदस्य अरविन्द कुमार, हरेकृष्ण चौधरी, दिलीप पंडित मौजूद छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ