सहरसा। 12 दिसम्बर। वैशाली म' आयोजित राज्य स्तरीय युवा उत्सव म' सहरसा के दुई लाल अप्पन प्रतिभा सँ सहरसा केर मान बढोलन्हि। युवा उत्सव म' जिला के कहरा प्रखंडक दिवारी स्थान निवासी नारायण यादव केर पुत्र निर्मल कुमार तबला वादन म' पूरा सूबे म' प्रथम स्थान आनि सहरसा क' गौरवान्वित केलन्हि।
वैशाली म' 8 सँ10 दिसम्बर तक आयोजित राज्य स्तरीय युवा उत्सव सँ सहरसा लौटला पर तबला वादक निर्मल केर सफलता पर लोग सभ बधाई दैत हुनका कोसी केर गौरव बतौलन्हि।
ओतहि शहर के नया बाजार निवासी प्रो. गौतम कुमार सिंह क' बेस्ट निर्णायक केर रूप म' कला संस्कृति विभाग सम्मानित केलन्हि अछि। कला संस्कृति मंत्री शिवचन्द्र राम प्रो गौतम कुमार सिंह एवं निर्मल कुमार क' प्रमाण पत्र, शॉल व मोमेंटो द' सम्मानित केलन्हि। प्रो. गौतम कुमार सिंह राज्य स्तरीय युवा उत्सव म' बतौर निर्णायक गेल छलाह। जते हुनका बेस्ट निर्णायक केर रूप म' सम्मानित करैत राज्य सरकार 15 हजार टक्का राशि सेहो प्रदान केलन्हि। सहरसा के दुनु गोटा क' सूबे म' अव्वल अएबा पर हुनका सभ क' बधाई देबाक सिलसिला शुरू भ' गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।