औरंगाबाद। 12 दिसम्बर। कोहरा के कारण एनएच 2 पर एक दर्दनाक सड़क हादसा मे एकहि परिवार केँ 5 लोगक मौत भ' गेलन्हि। सभ मृतक चेनारी के रहे बला बताओल जे रहल अछि।
प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ बरही दिस सँ आयब रहल एक डस्टर गाड़ी UP-65 BP-9555 मुफस्सिल थाना क्षेत्र के ओरा गाम लग एनएच 2 के कात मे गुरूद्वार लग ठाढ़ ट्रक मे टक्कर मारलन्हि। एहि दौरान पाछा से आयब रहल एक दोसर ट्रक एहि गाडी मे टक्कर मारलन्हि।
हादसा मे 4 लोगक घटना स्थले पर मौत भ गेलन्हि। जखनकि एक युवती केर मौत इलाज के क्रम मे भेलन्हि। पुलिस सभ फसल शव के क्रेन केर मदद सँ निकाली पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल भेज देलन्हि अछि आर मृतक के परिजन सभ के ऐहिक सूचना द' देलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।