पुलिस केर मुताबिक़ आशा रंजन कहलनि कि 26 दिसम्बर के राति हुनका मोबाइल पर फोन अएलन्हि कि अहाँ शहाबुद्दीन के जानैत छी ? जाहि पर ओ कहली हाँ, तेँ फोन करनिहार हुनका सुप्रीम कोर्ट मे दायर केस उठा लेबाक धमकी देलन्हि। कहलैन्ह कि केस नहि उठेबा पर अंजाम भुगतबाक लेल तैयार रहब।
एमहर, प्रभारी एसपी कहला कि आशा रंजन केर एफआईआर दर्ज क' लेल गेल अछि। जांच कायल जे रहल अछि। हुनका पहिने से सुरक्षा गार्ड भेटल छैन्ह। स्थानीय थाना क' सेहो हुनकर सुरक्षा लेल अलर्ट रहबाक निर्देश देल गेल अछि। आशा रंजन महादेवा ओपी मे आवेदन देना छली, जाहि पर एफआईआर दर्ज क' लेल गेल अछि।
अपने के बता दी ‘हिन्दुस्तान’ के पत्रकार राजदेव रंजन हत्याकांड मे मुख्य आरोपित लड्डन मियां समेत छह आरोपि के खिलाफ सीबीआई जांच पूरा क' लेना अछि।
सीबीआई सूत्र केर मुताबिक़ जनवरी के पहिल सप्ताह मे एहि सभ आरोपि के खिलाफ साक्ष्य के संग सीबीआई चार्जशीट सीबीआई कोर्ट मुजफ्फरपुर मे सौंप देत। एहिमे शूटर रोहित, रिशु, विजय, राजेश व सोनू कुमार गुप्ता शामिल अछि। हालांकि एक आन आरोपित सोनू कुमार सोनी पर सीबीआई पहिने चार्जशीट सौंप चुकल अछि। सीबीआई एहि सभ आरोपि के खिलाफ सभ बिन्दु पर जांच क' रहल अछि। घटना मे सबके शामिल होयबाक सीबीआई लग पर्याप्त साक्ष्य मौजूद अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।