
दिल्ली। 29 दिसम्बर। 8 नवम्बर के आधा रति से लागू भेल नोटबंदी के बाद से इंडियन आर्मी आर एयरफोर्स नहि सिर्फ देश केर सुरक्षा मे लागल अछि बल्कि अपनेक लेल जे नवा नोट छापल जे रहल अछि, ओतहु मुस्तैदी सँ तैनात अछि। नवा नोटकेँ जल्द सँ जल्द हमरा - अपनेक जेबी तक पहुचेबा मे सैनिक सभक अहम योगदान अछि। जते एयरफोर्स अप्पन एयरक्राफ्ट्स केर माध्यम से नवा नोट के जल्द सँ जल्द विभिन्न जगह तक पहुचेलन्हि, ओतहि आर्मी केर जवान सभ नवा नोट केर प्रिंटिंग यूनिट पर मुस्तैदी से अप्पन ड्यूटी नेभेलन्हि।
एयरफोर्स के विमान एखन धरी 610 टन करेंसी नोट विभिन्न जगह तक पहुचेलन्हि अछि। एयर चीफ मार्शल अरुप राहा कहला कि हमसभ अपन सहयोगी केर मदद से चौबीसों घंटा कम सँ काम एक नहि एक प्रिंटिंग यूनिट चलवा सरकार केर सहयोक केलहुँ। आग ओ कहला कि एयरफोर्स अप्पन हैवी ट्रांसपोर्ट एयरक्राफ्ट आर चॉपर से कैश पहुंचेबा मे अहम भूमिका निभेना अछि।
अपने के बता दी कि राहा केर कार्यकाल 31 दिसम्बर क' पूरा भ' रहल छैन्ह। ओ आईएएफ लेल कहला कि देशवासी क' जाहि तरहक तकलीफ केर सामना करे पड़लन्हि, आईएएफ हुनकर मदद ले सदिखन तत्पर रहल। आगा ओ नोटबंदी क' सरकार दिस से उठाओल गेल सभसँ बड़का डेग कहलन्हि। ओ कहलन्हि आर्मी, एयरफोर्स आर सरकार क' ई अहसास अछि कि नोटबंदी के कारण लोग सभके बहुत मुश्किलक सामना करे पड़लैन्ह।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।