नोटबंदी : करेंसी प्रिंटिंग प्रेस केर कर्मचारी ओवरटाइम करबा से केलन्हि इंकार

कोलकाता। 29 दिसम्बर। मोदी सरकार नोटबंदी लागू करबाक बाद कैको मोर्चा पर लड़ी रहल अछि। एक दिस विपक्ष हमलावर अछि तेँ दोसर दिस नोटबंदी के बाद से होय बला परेशानी, मुदा आब पीएम मोदी के लेल परेशान करै बला खबैर आइब रहल अछि। नोटबंदी के बाद देश भरी मे जारी नकदी केर किल्लतक बीच बंगाल के सालबनी स्थित करेंसी प्रिंटिंग प्रेस केर कर्मचारि सभ द्वारा ओवरटाइम ड्यूटी करबा से इंकार केर कारण नोटबंदी के संकट आर बढ़ी सकैत अछि। 

नोटबंदी के बाद से बंगाल के मेदिनीपुर जिला मे स्थित एहि प्रेस के कर्मचारी लगातार ओवरटाइम ड्यूटी करैत छलाह ताकि बेसी से बेसी नोट छपल जे सके। कर्मचारी यूनियन कहलनि कि निरंतर ओवरटाइम करबाक वजह से कर्मचारी सभ तेजी से बीमार भ' रहल छैथ। ऐना मे हुनका सभक लेल आब ओवरटाइम ड्यूटी करब मुश्किल अछि। सालबोनी केर करेंसी प्रिंटिंग प्रेस मे फिलहाल 12-12 घंटा के दुइ शिफ्ट मे नोटक छपाई चैल रहल अछि। 

इस प्रेस मे सात सौ कर्मचारी काज करैत छैथ। ऐता दस टाका सँ ल'के दुइ हजार टाका तक के नोटक छपाई होयत अछि। ओवरटाइम के चलते एहि  प्रिंटिंग प्रेस से फिलहाल छह करोड़ 80 लाख नोटक छपाई होयत छल। मुदा आब कर्मचारि सभक ओवरटाइम करबा से मना केलाक बाद सिर्फ तीन करोड़ 40 लाख नोट छैप सकत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने