मिथिला केँ सपूत विदेश मंत्रालय केर नौकरी छोईड़ शिक्षादान केर संकल्प लेलन्हि, बेटि सभक पंख क' परवाज द' रहल छैथ युवा

समस्तीपुर। 03 दिसम्बर। आय जते शिक्षादान पूरा तरहे व्यवसाय केर रूप ल' चुकल अछि, ओतहि किछ लोग ऐहिकें एखनहुँ पूजा मानैत छैथ। समस्तीपुर जिला अंतर्गत रोसड़ा स्थित विनोद स्मृति स्टडी (वीएसएस) क्लब केँ युवा सदस्य एहि राह पर चैल रहल छैथ। ओ साधनहीन बच्चा  को' नहि केवल मुफ्त म' पढबैत छैथ, पाठ्य सामग्री सेहो उपलब्ध करबैत छैथ। लड़किय सभ प्रोत्साहित करबाक लेल छात्रवृत्ति सेहो दैत छैथ।

वीएसएस क्लब केँ बैनर तर वर्ष 2008 म' एहि मिशन केर शुरुआत रोसड़ा प्रखंड के ढरहा निवासी राजेश सुमन केलन्हि। विदेश मंत्रालय केर नौकरी छोईड़ राजेश गरीब बच्चा खास करिके बेटी सभ क' पढ़ेबाक संकल्प लेलन्हि छैथ। हुनकर नेक काज देखैत मोहिद्दीनपुर के श्याम ठाकुर रेलवे केर नौकरी छोईड़ एहि संगठन संग जुड़ला।

बाद म' मिर्जापुर केँ अशोक कुमार, पांचोपुर केँ रंजीत सिंह व लक्ष्मी कुमार, हरिपुर केँ गिरीश कुमार, रोसड़ा केँ चंदन कुमार लाल आर  सीमावर्ती बेगूसराय जिला केँ छौड़ाही निवासी विकास कुमार सेहो एहि मिशन संग जुड़ला। शुरू म' केवल छात्र सभ जुड़ला, मुदा जेना - जेना ऐता केर बच्चा प्रतियोगी परीक्षा म' सफल होमे लागल, लड़कि सभ सेहो ऐता कोचिंग लेबे आबे लागली।

वर्ष 2015 म' क्लब अप्पन मिशन म' नारी सशक्तीकरण क' शामिल केलन्हि। ऐहिक बाद सँ लड़कि सभ क' विशेष तौर पर सुविधा देल गेलन्हि। हर सप्ताह होमै बला परीक्षा म' बेहतर प्रदर्शन करै वाली छात्रा सभ  क' कॉलेज केर फीस, पाठ्य सामग्री, प्रतियोगिता परीक्षा केर लेल आवेदन शुल्क आदि 'छात्र सहायता कोष' सँ देल जायत अछि। 

प्रतियोगिता परीक्षा केर तैयारी करै बला साधनहीन विद्यार्थि सभ केर मदद लेल शुरू कायल गेल एहि मिशन क' बहुत नीक परिणाम सेहो भेट रहल अछि। एता केँ विद्यार्थी सभ केंद्र व राज्य सरकार केँ विभिन्न पद पर अप्पन सेवा द' रहल छैथ। सर्वाधिक रेलवे, बिहार पुलिस व सीपीओ म' पदस्थापित अछि।

संस्थापक राजेश सुमन कहला कि क्लब सँ जुडल सभ सदस्य कतहुँ नै कतहुँ सेवारत अछि। एतबे नहि, एहिठाम सँ कोचिंग करबा के बाद नौकरी हासिल करै बाला बच्चे सेहो कुनू न कुनु रूप म' एहि संगठन केर सहयोग करैत छैथ। पांचोपुर म' संचालित एहि संस्था म' समस्तीपुर, दरभंगा, बेगूसराय व खगडिय़ा केँ करीब 250 विद्यार्थी अछि।

रोसड़ा केँ अनुमंडल पदाधिकारी (एसडीओ) कुंदन कुमार सेहो एहि मुहिम केर सराहना केलन्हि। कहलनि कि सभ शिक्षित व सक्षम लोग यदि एहि तरहक कोशिश करता तेँ गरीब बच्चा, ख़ास करीकेँ छात्रा सभ क' अप्पन  मुकाम हासिल करबा म' परेशानी नहि हेतैन्ह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ