नौंवाँ के छात्र-छात्रा के बीच करीब 600 करोड़ रुपया के भुगतान कैल गेल रहे। नौंवाँ में पढ़ वाला सभ 8.28 लाख छात्र आ 8.15 लाख छात्रा के राशि देल गेल छल। एही साल संख्या में बढ़ोतरी कैल गेल अछि। शिक्षा विभाग में करीब 27 जिला सs आबि चुकल आ चुके आंकड़ा के आधार पर राज्य के नौवीं क्लास में पढ़ वाला 14 लाख छात्र-छात्रा के ही साइकिल योजना कs लाभ भेट सकत। याह हाल मुख्यमंत्री पोशाक योजना में सेहो होबा वाला अछि। नौंवाँ सs 12वाँ तक पढ़ वाली छात्रा के पोशाक के लेल 100 करोड़ कs बजट रखाल गेल अछि।
ओतहि , राज्य कs प्रारंभिक स्कूल (वर्ग पहिला सs आठवाँ ) में पढ़ वाला छात्र-छात्रा के लेल आन - आन मद में 400 करोड़ रुपया के बजट रखल गेला। एही सभ बच्चा के 75 फीसदी उपस्थिति के आधार पर राशि देल जैत। करीब 30 जिला सs बच्चा कs उपस्थिति के आंकड़ा आबि चुकल अछि। एही के आधार मानी क' शिक्षा विभाग आगा के कार्रवाई कs रहल अछि। शिक्षा विभाग जिला सs शपथ पत्र ल रहल अछि कि जैए आंकड़ा जिला सs आबि रहल अछि ओ सही अछि। एही लेल सभ जिला के फेर सs हुनका द्वारा भेजल गेल डाटा के दोबारा जांच करे लेल कहल गेला। अगर कहीं सs कहल गेल कि जैए आंकड़ा देल गेल ओ गलत अछि तs ओहि पर संबंधित स्कूल कs प्रधानाध्यापक आर प्रखंड व जिला के पदाधिकारि पर कार्रवाई कैल जैत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।