बिहार पुलिस केर बर्बरता, बुजुर्ग महिला सभ क' घोलटा - घोलटा पिटलन्हि

भागलपुर। 09 दिसम्बर। बिहार पुलिस केर बर्बरतापूर्ण चेहरा एक बेर फेर सँ सामना आयल अछि। भागलपुर डीएम कार्यालय केँ सामने भूमिहीन किसान एवं बाढ़ि म' बेघर भेल लोग सभ अप्पन मांग लेल प्रदर्शन केलन्हि। अप्पन मांग पूरी नहि होयत देख सभ हंगामा करे लागलन्हि। ओहिक बाद प्रदर्शन म' शामिल महिला सभ पर पुलिस द्वारा बर्बरतापूर्वक  लाठी चार्ज कायल गेल।

बिहार पुलिस केर जवान सभ प्रदर्शन क' रहल महिला सभ क' दौड़ा - दौड़ा  बेरहमी सँ पटलन्हि। एक दर्जन सँ बेसी महला एवं पुरुष एहिमें घायल भेल अछि। लाठीचार्ज केँ बाद महिला सभ जते - तते सड़क पर पड़ल छली। जिनका देखला भरी सँ लोग सभक रोया ठाढ़ भ' जायत छल। एहि घटना म' दर्जन भैर वृद्ध महिला दसभ घायल भेली। 

इस दौरान कैको महिला सभक कपड़ा तक देह सँ अलग भ' गेल छल, तैयो  पुलिस बाज नहि अएला आर निर्वस्त्र महिला सभ पर सेहो लाठि चलेला। ओहि समय डीएम कार्यालय महिला सभक चीख सँ गुँजैत छल। प्राप्त सुचना केर मुताबिक़ भागलपुर सदर एसडीओ कुमार अनुज सेहो प्रदर्शन क' रहल महिला सभ पर जमी केँ लाठि चलेला।  भागलपुर एसएसपी मनोज कुमार कहलनि कि इ जांचक विषय थीक दोषि सभ पर करवाई कायल जायत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने