नीतीश कुमार आर हार्दिक पटेल दुनु कुर्मी नेता एक संग गुजरात म' रैली करता

पटना। 14 दिसम्बर। गुजरात म' पटेल समुदाय क' आरक्षण देबाक मांग क'ल' चर्चा म' आयल हार्दिक पटेल गुजरात म' अगला बरख होय बला विधानसभा चुनाव क' देखैत बिहार केँ मुख्यमंत्री एवं जनता दल यूनाईटेड (जदयू) अध्यक्ष नीतीश कुमार क' साथ मिल रैली करबाक लेल गुजरात अएबाक न्यौता देलन्हि अछि।

सरकारी नौकरी म' पटेल समुदाय क' आरक्षण देबाक मुद्दा पर पिछला बरख गुजरात म' प्रदर्शन एवं विशाल रैली करबाक बाद चर्चा म' आयल  हार्दिक पटेल क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो समर्थन देना छलाह। मुदा, पटेल सभ क' आरक्षण नहि भेटला पर आन सभ वर्गो के लोग सँ आरक्षण छिनबाक मांग के बाद नीतीश कुमार हार्दिक पटेल सँ दूरी बना लेना छलाह।

राजधानी पटना आयल हार्दिक पटेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ बैठक के बाद कहलनि कि ओ मंडल आयोग केर सभ अनुशंसा क' लागू करेबाक पक्षधर छैथ। सिर्फ आर्थिक आधार पर आरक्षण देबाक कुनु जरूरत नहि अछि, बल्कि सरकारी नौकरि सभ म' सामाजिक आर आर्थिक दुनु  आधार क' ध्यान मे राखी आरक्षण देल जेबाक चाहि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ