मिशन चकचक लेल एक दिवसीय कार्यशाला केर आयोजन

दरभंगा। 21 दिसम्बर। हायाघाट प्रखंड मुख्यालय म' कैल्ह मंगलवार दिन लोहिया स्वच्छता बिहार अभियान केर तहत मिशन चकचक  एक दिवसीय कार्यशाला सह उन्मुखी कार्यक्रम केर आयोजन कायल गेल।कार्यशाला केर शुरूआत जिलाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह दिप प्रजवल्लित करि केलन्हि।

एहि मौका पर उपस्थित जन प्रतिनिधि सभ क' संबोधित करैत डीएम कहलनि कि ई कार्यक्रम महत्वपूर्ण अछि, खुला म' शौच करब एक सामाजिक बुराई थीक जाहिसँ  80 फीसदी बीमारि पसरैत अछि संगहि महिला सभक गरिमा केर खिलाफ सेहो अछि। आगा ओ कहला कि एक सर्वे केर मुताबिक 30 फीसदी यौन अपराध खुला म' शौच के कारण होयत अछि। जिलाधिकारी कहला कि हर घर म' शौचालय केर व्यवस्था होयबाक चाहि। ओ सभ प्रखंडक लोग सँ शौचालय बनेबाक अपील केलन्हि संगे कहलनि कि शौचालय बनेबाक लेल लाभूक सभ के' भुगतान जरूर कायल जायत जाकर गारंटी हम लैत छी। 

ओतहि सभा क' संबोधित करे स्वच्छता अभियान के जिला नोडल पदाधिकारी जेड हसन, उप प्रमुख , मुखिया महासंघ के अध्यक्ष विजय कुमार पासवान मुखिया अवनीश कुमार स्वच्छता अभियान के प्रखंड समन्वयक त्रिलोक नाथ झा आदि प्रमुख छलाह।  कार्यशाला केर  अध्यक्षता जते प्रखंड प्रमुख बेबी देवी केलीह ओतहि मंच संचालन मुखिया विजय कुमार पासवान केलन्हि।  कार्यक्रम म' लोक कला मंच केर  कलाकार सभ आलोक कुमार ठाकुर केर नेतृत्व म' जते तीन चारि  स्वछता सँ जुडल गीत गौलन्हि ओतहि दोसर दिस नुक्कड़ नाटक केर द्वारा लोग सभ मे जागरूकता अभियान केर प्रति जागरूकता जगाओल गेल। मौका पर बीडीओ प्रेम कुमार सीओ संजय कुमार बीईओ हरिशंकर झा सीडीपीओ मीनाक्षी प्रभाव समेत सभ प्रखंड कर्मी व प्रखंड केर मुखिया पंचायत समिति सदस्य मौजूद छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने