राज्य भरिमे कैको रेलवे स्टेशन पर जन अधिकार पार्टी केर कार्यकर्ता रेलवे पटरी पर उतैर रेलक परिचालन बाधित केलन्हि। सांसद पप्पू यादव खुद कार्यकर्ता सभक संग पटना के राजेंद्र नगर टर्मिनल पर रेल रोकी नोटबंदी केर विरोध केलन्हि। कार्यकर्ता सभ राजेंद्र नगर टर्मिनल पर अप आर डाउन लाइन पर चैल रहल रेलगाड़ि सभक परिचालन बाधित केलन्हि।
जन अधिकार पार्टी के कार्यकर्ता सभ आरा स्टेशन पर डाउन लाइन पर आइब रहल बक्सर-पटना शटल ट्रेन क' आधा घंटा धरी रोकलन्हि, जखनकि गया के गुरारू स्टेशन पर गया-मुगलसराय पैसेंजर ट्रेन केर परिचालन बाधित केलन्हि। एहि दौरान बंद समर्थक सभ सरकार केर खिलाफ खूब नाराबाजी केलन्हि।
पटना के बाढ़ स्टेशन पर जाप के समर्थक व कार्यकर्ता सभ खूब प्रदर्शन केलन्हि। ओ सभ साहेबगंज इंटरसिटी एक्सप्रेस आर टाटा-दानापुर एक्सप्रेस क' करीब 40 मिनट तक रोकलन्हि।
सांसद पप्पू यादव कहलनि कि नोटबंदी केर खिलाफ आब आरपार केँ लड़ाई होयत। केंद्र सरकार बेनामी संपत्ति केर सेहो पता लगबे आर जांच करबे। बंद क' सफल बतबैत पप्पू यादव कहला कि कैको स्टेशन पर आम जनता नोटबंदी केर विरोध म' उतरल छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।