10 लाख से बेसी कमाबै बला केर खत्म होयत गैस सब्सिडी

नई दिल्ली। 20 दिसम्बर। आयकर विभाग जल्दे पेट्रोलियम मंत्रालय के संग एहेन सभ करदाता सभक ब्योरा साझा करत जिनकर वार्षिक आय 10 लाख टाका से बेसी अछि। उच्च आय वर्गक दिस से रसोई गैस सब्सिडी केर चोरी रोकबाक मकसद से एहेन डेग उठाओल जायत। आयकर विभाग एहि तरहक लोग के नामक संगे हुनकर पैन, जन्मतिथि, उपलब्ध पता, ई-मेल आईडी आर मोबाइल नंबर केर जानकारी सेहो मंत्रालय क' उपलब्ध करायत। जल्दे एहि संबंध म' विभाग आर मंत्रालय एक करार पर हस्ताक्षर करत।

केंद्रीय प्रत्यक्ष कर बोर्ड (सीबीडीटी) एहि फैसला के मंजूरी देलन्हि अछि। ई डेग सरकारक ओहि फैसला केर बाद उठाओल गेल अछि जाहिके तहत कहल गेल छल कि दस लाख टाका से बेसी सालाना आय बला करदाता सभ के सब्सिडी बला गैस नहि भेटत। एक वरिष्ठ अधिकारी केर कहब अछि कि पेट्रोलियम मंत्रालय क' ई डेटा भेटला से 10 लाख टाका सालाना आय बला टैक्सपेयर्स क' गैस सब्सिडी भेटब अपने आप बंद भ' जायत। हालांकि, किछ लोग पहिने से अप्पन इच्छा अनुसार सब्सिडी छोईड़ देलन्हि अछि। लेकिन एखनहुँ कैको लोग एहेन छैथ, जे सभ एखन धरी सब्सिडी नहि छोड़ने छैथ। एहिलेल आब सरकार खुद जांच करे चाहैत अछि। एक उच्च अधिकारी केर मुताबिक़ जल्दे ई प्रक्रिया शुरू भ' जायत। 

मौजूदा समय मे प्रति परिवार 14.2 किलोग्राम के 12 सिलेंडर हर बरख देल जायत अछि। नव एलपीजी कनेक्शन पर सब्सिडी लेबाक लेल उपभोक्ता सभ क' खुद घोषणा करि बतबे परतैन्ह कि हुनकर वार्षिक आमदनी 10 लाख टाका से कम अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने