चोरी भेल स्फटिक शिवलिंग केर जगह नवा शिवलिंग केर स्थापना भेल

सहरसा। 21 दिसम्बर। शहर के प्रसिद्ध मत्स्यगंधा मंदिर परिसर के शिव मंदिर सँ गायब भेल स्फटिक शिवलिंग केर जगह नवा शिवलिंग पूरा विधि-विधान केर संग स्थापित क' देल गेल अछि। मंदिर के पुजारी श्री भगवान मिश्र व रंजीत झा विधिपूर्वक शिवलिंग केर स्थापना करौलन्हि। 

एहि मौका पर पर मंदिर कमिटी के कुमार हीरा प्रभाकर, बलराम देव, भोला प्रसाद गुप्ता, महेश, बंटी, संतोष के अलावा भारी संख्या म' श्रद्धालु लोकनि मौजूद छलाह। जानकारी केर मुताबिक़ पिछला 25 अक्टूबर क' शिव मंदिर सँ साँझक पूजा केर दरमियान शिवलिंग चोरी भ' गेल छल।  लगभग दुइ महीना बितलाक बादो पुलिस शिवलिंग चोरी करनिहार के नहि पकैड़ पेलन्हि। जाहिके बाद थैक - हारी के मंदिर कमिटी चोरी भेल शिवलिंग केर स्थान पर नवा शिवलिंग स्थापित केलन्हि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने