दरभंगा : नौ कार्यक्रम पदाधिकारी केँ वेतन भुगतान पर रोक

दरभंगा। 09 दिसम्बर। मनरेगा केर योजना म' भुगतान लंबित रहला पर खफा जिलाधिकारी डॉ.चंद्रशेखर सिंह नौ कार्यक्रम पदाधिकारि सभक वेतन भुगतान पर रोक लगेबाक आदेश देलन्हि। एहिमें बेनीपुर, हनुमाननगर, बहेड़ी, तारडीह, कुशेश्वरस्थान, कुशेश्वरस्थान पूर्वी, जाले, केवटी व गोराबौड़ाम केर कार्यक्रम पदाधिकारी शामिल छैथ। संगहि डॉ.चंद्रशेखर सिंह सभ पदाधिकारी सँ स्पष्टीकरण मांगबाक सेहो निर्देश देलन्हि।

कैल्ह गुरुवार दिन समाहरणालय केँ सभागार म' मनरेगा केर मासिक समीक्षात्मक बैठक केर अध्यक्षता करैत जिलाधिकारी वित्तीय वर्ष 2016-17 व एहिसँ पहिल योजना सभक जानकारी लेलन्हि। एहि क्रम म' पाओल  गेल कि कैको योजना लंबित अछि आर भुगतान सेहो नहि कायल गेल अछि। एहि पर जिलाधिकारी डॉ.चंद्रशेखर सिंह बहुत नाराजगी जतौलन्हि।  
 डॉ.चंद्रशेखर सिंह अगला समीक्षात्मक बैठक सँ पहिने सभ काज आर फुगतान म' प्रगति नहि होयबाक स्थिति म' गंभीर प्रशासनिक कार्रवाई केर चेतावनी सेहो देलन्हि। ओतहि वित्तीय वर्ष 2016-17 तय लक्ष्य केँ अनुरूप मानव दिवस सृजन क' पूरा करबा आर योजना सभ क' निर्धारित समय म' पूरा करबेबाक निर्देश देलन्हि। बैठक म' उप विकास आयुक्त विवेकानन्द झा, डीआरडीए केँ लेखा निदेशक निदेशक नरेश झा, जिला जन संपर्क पदाधिकारी कन्हैया कुमार व सभ प्रखंड केँ कार्यक्रम पदाधिकारी उपस्थित छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ