घटना कs सूचना पर पहुंचल एसएसपी सत्यवीर सिंह, इंस्पेक्टर अजय कुमार झा, एसडीपीओ दिलनवाज अहमद, थानाध्यक्ष राशिद परवेज इलाका में कैंप करि रहल छैथ। डॉग स्क्वॉयड के सेहो बजायल गेल अछि। एक व्यक्ति के पूछताछ के लेल हिरासत में लेबाक के सेहो सूचना अछि।
जानकारी के मुताबिक खंती, हथियार एवं लाठी-डंडा सs लैस अपराधि पाहिले नवीन चौधरी के घर के निशाना बनेलक आर ओतए सs तीस हजार रुपया नगद एवं आभूषण ल गेल। एही के बाद वार्ड-3 की वार्ड सदस्या अर्चना देवी के घर पर हमला क' देलक। बलपूर्वक वार्ड सदस्या के कान कs बाली पांच हजार नगद, चाइर भैर सोनाक' आभूषण सहित लाखों के सम्पैत लूटी लेलक।
एही दौरान दरभंगा व्यवहार न्यायालय के आदेशपाल शिवेश्वर ठाकुर उर्फ कोमल बाबा जागि गेला। अपराधि बम सs हुनका पर हमला करि देलक। जाहिसs हुनकर मौका पर मौत भ गेल। कहल जा रहल अछि कि मृतक अपराधि के चिन्हैत छलाह। सिंहवाड़ा पुलिस शव के कब्जा मे लक पोस्टमार्टम के लेल डीएमसीएच पठा देलक। एसएसपी घटना के जल्द सs जल्द उद्भेदन करे के दावा कैला। एही घटना सs क्षेत्र में दहशत अछि। कटका पंचायत के इतिहास में पाहिले कहियो एहन घटना नै होबाक बात कहल रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।