बंद भ' चुकल 500,1000 के नोट रखबा पर नहि होयत सजा, लगाओल जायत 10 हजार केर जुर्माना

नई दिल्ली। 30 दिसम्बर। 500 आर 1000 टाका के बंद भ' चुकल पुरनका  नोट रखबा पर सरकार अप्पन रुख साफ केलन्हि अछि। तय सीमासे बेसी पुरनका नोट राखै बला के जेल केर सजा नहि होयत मुदा एहि मामला मे जुर्माना लगाओल जायत आर जुर्माना केर रकम कम सँ कम 10 हजार टाका होयत। ओनाकि, पहिने एहेन खबैर छल कि बंद भ' चुकल नोट रखनिहार के सजा सेहो भ' सकैत अछि।

सरकारी अधिकारि सभ कैल्ह गुरुवार दिन साफ केलन्हि कि ई आदेश 31 मार्च 2017 के बाद प्रभावी होयत। पहिने ई साफ नहि छल कि 30 दिसंबर के बाद पुरनका नोट पाओल गेला पर कार्रवाई होयत या फेर  31 मार्च के बाद। अपने क' बता दी कि पुरनका नोट बैंक मे जमा करबाक अवधि आय  30 दिसंबर क' ख़त्म भ' रहल अछि। आय के बाद पुरनका नोट सिर्फ भारतीय रिजर्व बैंक (आरबीआई) मे 31 मार्च तक जमा कराओल जे सकत। 

दरअसल, नोटबंदी के फैसलाक बाद सरकार एहि बारे मे एक अध्यादेश तैयार केलन्हि अछि आर ओहि मे ई सभ प्रावधान अछि। एहि अध्यादेश  क' केंद्रीय कैबिनेट सँ मंजूरी भेट चुकल अछि आर एहिके जल्दे राष्ट्रपति  लग मंजूरी लेल भेजल जायत। राष्ट्रपति से मंजूरी भेटलाक बाद ई प्रभावी होयत। बताओल जे रहल अछि कि अध्यादेश 31 दिसंबर से प्रभावी भ' जायत। 

अध्यादेश स' 500 आर 1000 के पुरनका नोटक औपचारिक रूप से वैधता समाप्त भ' जायत। ओहिक बाद कुनू व्यक्ति लग 10 से बेसी पुरनका नोट पाओल गेला पर हुनका खिलाफ कार्रवाई होयत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने