मृतक के पिता जयप्रकाश प्रसाद व माँ अप्पन हत्यारा छोट बेटा क' ने मानसिक दिव्यांग बतौलन्हि। ग्रामीण सभ बतौलन्हि कि आय गुरुवार दुपहर करीब सवा दुइ बजे दुनु भाई मे बंटवारा लेलर विवाद उत्पन्न भ' गेलन्हि। जाहिमे छोट भाई मनीष कुमार अप्पन जेठ भाई कृष्ण कुमार व भौजाई सीमा देवी पर लोहा के रड से प्रहार क' लहूलुहान क' देलन्हि।
ग्रामीण सभ दुनु घायल क' गंभीर स्थिति मे माता पिता संग एसकेएमसीएच ल' गेलन्हि, जते चिकित्सक दुनु के मृत घोषित क' देलन्हि। मृतका सीमा देवी के नैहर बला सभ बहुत दिन से बंटबारा करबाक लेल कहैत छलैन्ह। जाहिक मनीष सदिखन विरोध करैत रहथिन।
आय एहि बातक लेल दुनु भाई के बिच विवाद बरहल आर मनीष अप्पन जेठ भाई कृष्ण कुमार आर हुनकर पत्नी सीमा के हत्या क' देलन्हि। मृतक कृष्ण कुमार के बियाह 2005 मे सीमा संग भेल छलैन्ह। हुनका दुइ पुत्र व एक पुत्री छैन्ह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।