जानकारी केर मुताबिक भगवानपुर बजार मे सड़क पर एक कार पर सवार लोग सभ पुरनका नोट से भरल बोरा सड़क कात फेक परा गेलैथ, मौका पर जमा भेल लोग जखन बोरा खोललन्हि ते ओहिमे 1000-500 के पुरनका नोट छल। खबैर पसरते नोटक लूट शुरू भ' गेल।
दुइ घंटा धरि नोटक लूट के खेल चलैत रहल। एहि दौरान सड़क पर ट्रैफिक बाधित रहल। बाद मे पुलिस पहुंच स्थिति पर नियंत्रण स्थापित केलन्हि। पुलिस मात्र 30 हजार टाका के पुरनका नोट बरामद केलन्हि। शेष लाखों टाका लोग लूईट लेलन्हि।
जिलाधिकारी राहुल कुमार कहला कि सभ बैंक क' पुरनका नोट जमा करनिहार से पूछताछ करबाक निर्देश देल गेल अछि। पुरनका नोट जमा करबाक आय अंतिम दिन अछि। कुनु भी हालत मे कला धन पकड़ल जायत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।