ह्रदय गति रुकला सs एसआई प्रवीण कुमार कs मौत

खगड़िया। 29 दिसम्बर। चौथम थाना मे पदस्थापित एसआई प्रवीण कुमार केर ह्रदय गति रुकला से मौत भ' गेलन्हि।  प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ ओ देर सांझ मोटरसाइकिल से एक घटना के मामलाक जांच करि वापस आबैत छलाह। एहि क्रम मे मलपा गांव लग हुनका हृदयाघात भेलन्हि। 

प्रवीण कुमार मूल रूप से बेगूसराय जिला के साहेबपुर कमाल थाना क्षेत्र अंतर्गत बाबुराही गाम के रहिवासी छलाह। आय गुरूवार भोर शव क' पोस्टमार्टम के लेल सदर अस्पताल लाओल गेल।घटना केर जानकारी भेटते हुनकर परिजन सेहो खगड़िया पहुंच गेल छल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ