राहुल-लालू केर एक सुर, मोदी केर खिलाफ जांच होय

पटना। 23 दिसम्बर। राष्ट्रीय जनता दल (RJD) सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव कांग्रेस उपाध्यक्ष राहुल गांधी केँ ओहि बयानक समर्थन केलन्हि जाहिमें राहुल गाँधी साल 2013-14 के बीच पीएम मोदी क' उद्यमी द्वारा करोड़ों टाका केर रिश्वत देबाक आरोप लगाओल गेल छल। लालू यादव सेहो कहलनि कि पीएम केर खिलाफ सुप्रीम कोर्ट केर निगरानी म' जांच होबाक चाहि।

लालू यादव कहलनि कि प्रधानमंत्री मोदी आब पूरा तरहे फसल छैथ, आब हुनका राष्ट्र क' सफाई देबा परतैन्ह। 

अपने के बता दी कि राहुल गांधी आरोप लगेना छैथ कि आदित्य बिड़ला आर सहारा समूह 40 करोड़ टाका नरेंद्र मोदी क' देना छल। लालू यादव कहलनि यदि कुनुबीजेपी प्रवक्ता आब पीएम केर बचाव म' बयान देता तेँ ई गलत होयत।

लालू यादव कहलनि कांग्रेस उपाध्यक्ष राहुल गांधी पीएम मोदी के ऊपर ई  आरोप बिना सबूतक नहि लगेना हेता। ओ बिना सबूत एहेन नहि क सकैत छैथ।  एहिसँ सावित होयत अछि कि प्रधानमंत्री भ्रष्टाचार म' शामिल छैथ। हम एहि मामला म' सुप्रीम कोर्ट केर निगरानी म' जांच केर मांग करैत छी। 

राहुल गांधी कहने छला कि इनकम टैक्स केर रेकॉर्ड के मुताबिक अक्टूबर 2013 से फरवरी 2014 के बीच म' सहारा ऑफिशल्स  पीएम मोदी क' 40 करोड़ टाका देना छल। ई रकम 9 बेर म' देल गेल छल।  राहुल गांधी इयो आरोप लगेना छल कि बिड़ला ग्रुप सेहो पीएम क' 12 करोड़ टाका देना छल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ